सोमवार, 3 मार्च 2014

गजल

नोर हमर बनि जाउ हम कानब छोडि देबै
मोन हमर बसि जाउ हम ध्यानब छोडि देबै

आपस ने चल जाय सजना नीनो तजल हम
टूटत जे उम्मीद दिन गानब छोडि देबै

अछि हमरा विश्वास सदिखन अपनो स बेशी
चनकल यदि आशा खुदा मानब छोडि देबै

आन्खि हमर फूजल तकै चारू कात आकुल
देख अहां के रूप बन छानब छोडि देबै

२११२ २२१२ २२२१ २२

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों