रविवार, 23 मार्च 2014

पं. जीवन झा Lifetime Achievement गजल सम्मान


पं. जीवन झा जीक मृत्यु दिवस जे की मइमे होइ छै तैमे हरेक बर्ख एकटा सम्मान देल जाएत जकर नाम हेतै "पं. जीवन झा Lifetime Achievement गजल सम्मान"। संक्षिप्तमे "पं. जीवन झा गजल सम्मान" 

ई सम्मान कोनो व्यक्ति वा संस्थाकेँ देल जा सकैए जे अपन जीवनमे गजल लेल काज केने होथि।

ऐ सम्मान लेल व्यवस्था एना रहत---

पाठक, आलोचक, विश्वविद्यालय, मैथिली संस्था आदि एकटा नोमिशेन फार्म अनचिन्हार आखरकेँ पठेता (मात्र इंटरनेटसँ स्वीकार्य)। अनचिन्हार आखरक सेलेक्शन कमीटि ओइ नाम सभपर विचार क' अंतिम निर्णय देता। ई सम्मान मात्र काज अधारित छै तँए विवाद बर्दास्त नै कएल जाएत। ई फार्म ऐ लिखपर उपल्बध अछि--  पाठक, आलोचक, विश्वविद्यालय, मैथिली संस्था आदि  फार्म भरबा कालमे ई सभ मोन राखथि--

१) एक बेरमे एकै व्यक्ति वा संस्थाकेँ भेटत। २) जै बर्खमे किनको ई सम्मान भेटि रहल हो तैसँ ३० बर्ख पाछू धरिक हुनक गजलक उपर काजकेँ मूल्याकंन कएल जाएत संगे संग कमसँ कम हुनक ५सँ बेसी गजल संग्रह वा गजल आलोचना, इतिहासपर पोथी प्रकाशित भेल हो ४) जँ संपादक छथि तँ हुनकर पत्रिकामे प्रति बर्ख ३०टा गजल प्रकाशित भेल हो। जँ संपादक बदलि गेल छथि तँ ई सम्मान पत्रिकाकेँ देल जाएत। ५) ओ संस्था जे की गजलक १५टा पोथी प्रकाशित केने हो। ६) ओ संपादक जे की प्राचीन गजलकारक मूल वर्तनीकेँ सुरक्षित राखैत १०टा गजलक संपादन केने होथि। ७) ओ दान-दाता जे की गजलक पोथी प्रकाशित करबाक लेल दान देने होथि ( कमसँ कम २०टा)। ८) ई प्रयास रहत जे ई सम्मान हरेक बर्ख देल जाए मुदा उचित प्रतियोगीकेँ अभावमे एकरा ओइ बर्ख लेल स्थगित सेहो कएल जा सकैए। ९) ऐ सम्मानक सभ प्रकिया अनचिन्हार आखर सुरक्षित रखने अछि संगे-संग उतरदायित्व सेहो लैत अछि। १०) जे केओ सम्मान ओ पाइकेँ संग जोड़ि देखै छथि तिनका लेल ई सम्मान अयोग्य अछि। हँ साधनक हिसाबें राशिक व्यवस्था सेहो हेतै मुदा भविष्यमे। ११) जे केओ ३० बर्खमे ३०टा वा ओसँ बेसी नव गजलकारकेँ गजल विधासँ जोड़लाह। १२) अनचिन्हार आखरक संस्थापक ऐ सम्मानक हकदार नै हेताह। १३) अनचिन्हार आखरक सेलेक्शन कमीटिक जे केओ मेम्बर हेताह तिनका २ बर्खक बादें ई सम्मान भेटि सकैए।







कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों