शुक्रवार, 22 जुलाई 2011

गजल

मूसक आखर बिलाइक नाम

गाएक नोर तँ कसाइक नाम


हुनका नै हुनकर धोधि देखू

घीअक सुगंधि मलाइक नाम


किएक शिक्षक के सम्मान हेतै

बापक कर्जा तँ पढ़ाइक नाम


आरि मने गारि, गारि मने मारि

खेतक उपजा बटाइक नाम


एहनो होइ छै कहिओ-कहिओ

पानिक प्रेम तँ सलाइक नाम






**** वर्ण---------12******

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों