शनिवार, 16 जुलाई 2011

गजल

प्रस्तुत अछि रोशन झाक गजल



आहाँकेँ दिल जँ धडकैया तऽ धडकय दियौ

आँहाँके आँखि जँ फडकैया तऽ फडकय दियौ


मिटा सकत ने हाथक रेखा मेंहदी कखनो

आँहाँके हाथ जँ थडकैया तऽ थडकय दियौ


भऽ जाईछ बेडी जे पाएरक नुपुरो कखनो

डेग आँहाँके जँ बहकैया तऽ बहकय दियौ


किया दबैछी आँहाँ मनक अरमान अपन

आगि मनके जँ भडकैया तऽ भडकय दियौ


आँहि लए आकुल व्याकुल ग्रीष्म रोशन मन

दुपट्टा तन सँ जँ लडकैया तऽ लडकय दियौ


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों