शुक्रवार, 15 जुलाई 2011

गजल

एहि रुपें सभ मे करार हेतै

खाए लेल मनुखे जोगार हेतै


मीडिआ तँ बनि गेलै पोर्नोग्राफी

आब सए मे सए फिराड़ हेतै


बयस सँ पहिने बच्चा जबान

पंचमे बर्खे रति झमार हेतै


देखू यूरो,फ्रैंक, रुपैआ छीटल

डालर खा आदमी डालर हेतै


चेतह अनचिन्हार रुकि जाह

छने मे आदमी बेस्महार हेतै


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों