रविवार, 8 जनवरी 2012

गजल

जखन-जखन सोचब हमरा
अपने में अहाँ पायब हमरा

हमर शव्द गीत  बनि कान में
कचोटे त ' अहाँ सोचब हमरा

हम दूर छी त ' कोनो बात नहि
मोन में अपन पायब हमरा

दू काया एक प्राण छी हम दुनू
भे
ब त ' अहाँ बुझब हमरा


अहाँ कहलौं जे हम अहाँक  छी
मरला बादो निभायब हमरा 

(सरल वार्णिक बहर,वर्ण-१२)
जगदानन्द झा 'मनु' : गजल संख्या -६ 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों