जखन सँ खसल आँचर देखलहुँ हम
तखन सँ बुझू सबटा बिसरलहुँ हम
होस रहल नै कतय छी कनिको अपन
आब तs अहीं में पूर्णतय रमलहुँ हम
दोख आँचरक नै ई खुसनसीबि हमर
मोन में अहाँ कए अपन बनेलहुँ हम
अहाँ मानु नै मानु आँचर हमहि राखब
खसै छै कतेक खसै दियौ ठानलहुँ हम
सुकोमल काया बदन सुन्नर चन्दन सँ
आँचरक बहाने अहाँ केँ जानलहुँ हम
(सरल वार्णिक बहर, वर्ण-१६)
जगदानन्द झा 'मनु' : गजल संख्या -१४
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें