बताह भेलइ मनुआं आब कोना मानत
पुरान यादिक गठरी फोलि फेरो कानत
करेज़ चनकल टुकरी भेल संगी रूसल
समेट सभटा टूटल टूक फेरो गानत
बिसैर नहि पेलक ओकर मधुर यादक पल
सिनेह नहि बिसरत ई बात फ़ेरो ठानत
ससैर गेलै प्रेमक ताग
छलई तानल
सहेज सभटा प्रेमक ताग फेरो तानत
सचेत कतबो केलहुँ मोन अप्पन कोना
जड़ैत डिबिया सन मोनक इ गप के जानत
सभ पाँतिमे मात्राक्रम - 1212+2222+122+22
तिथि:३१/०१/२०१४
©राम कुमार
मिश्र