कहिया हेबै उरीन
बाबा
कम छै श्वासक जमीन
बाबा
नचलहुँ हम गाम
नग्र कारण
ढ़ौआ सनकेँ तँ
बीन बाबा
हम्मर झगड़ा छलै
घरे भरि
बाहर आनल अमीन
बाबा
मजदूरक काज करत
रोबो
हँसि रहलै ई मशीन
बाबा
भेटत हुनकर सिनेह
हमरा
कहिया हेतै सुदीन
बाबा
हरेक पाँतिमे 22+2212+122
मात्राक्रम अछि।
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें