रविवार, 15 जनवरी 2012

"गजल कमला-कोसी-बागमती-महानंदा सम्मान" बर्ख २०११



हमरा सूचित करैत इ परम हर्खक अनुभव भए रहल अछि जे अनचिन्हार आखर द्वारा प्रस्तुत "गजल कमला-कोसी-बागमती-महानंदा सम्मान" बर्ख २०११ लेल ( जे की पहिल सेहो अछि) ओस्ताद सदरे आलम गौहर जीक मास फरवरीमे प्रकाशित हुनक गजलकेँ देल जा रहल अछि। हुनका बधाइ। एहि सालक मुख्यचयनकर्ता छलाह ओस्ताद सियाराम झा "सरस"। हुनका धन्यवाद।


प्रस्तुत अछि ओस्ताद सियाराम झा "सरस" जीक टिप्पणी जे की हमरा मेलपर पठाएल गेल अछि।


हम सियाराम झा "सरस" उपरोक्त पुरस्कार योजनाक नियमावलीसँ पूर्ण वाकिफ छी। एहि योजनाक अंतर्गत १२ मासक १२ गोट चुनल बीछल गजल सभकेँ पुनः-पुनः पढ़ि कए देखल। तहिमेसँ कोनो एकटाकेँ चुनब बेस कठिन काज थिक। तथापि हम अंतरिम रूपें फरवरी मासक गजल जे की ओस्ताद सदरे आलम गौहर जीक गजल छन्हिकेँ पहिल स्थान पर रखैत छी। जदि दोसर आ तेसर केर चयनक बात हो तँ हम ओस्ताद ओमप्रकाश जीक गजलकेँ जे की मास सितम्बरमे प्रकाशित भेल तनिका देब। आ ओस्ताद श्रीमती इरा मल्लिक जीक गजल के तेसर स्थान पर राखए चाबह जे की मास दिस्मबरमे प्रकाशित भेल। संत्वाना सम्मान वा चारिम स्थान ओस्ताद मिहिर झाक गजलकेँ जाइछ जे की मास नवम्बरमे प्रकाशित भेल। अंतमे हम कहब जे गजलक बहर वा मीटर पर खास धैआन देल जएबाक चाही। गजलक मतला-मकता सेहो कसल रहबाक चाही। इ कोनो एक दिनक काज नहि छी। लगातार अभ्याससँ, नीक-नीक गजलकारक रचनाक मनन-चिंतनसँ गजलमे निखार आबै छै| अंतमे हम अपने एकटा गजलक किछु पाँति कहैत विदा लेब---


खरा-खरी कहबाकेँ नाम छी गजल
आबामे रहबाकेँ नाम छी गजल

क्यूरी-दंपति जकाँ मानवताक लेल
रेडियमकेँ चखबाकेँ नाम छी गजल

अनचिन्हारजीकेँ इ प्रतियोगिता आयोजन मैथिली साहित्य लेल मीलक पाथर सिद्ध हएत। सभ प्रतिभागीकेँ मंगलकामना नव वर्ख २०१२ लेल।

सियाराम झा "सरस"
राँची

09/01/12


1 टिप्पणी:

  1. हमर मैथिली गजलक लेल हमरा गजल कमला-कोसी-बागमती-महानंदा सम्मान भेटल।ई हमरा लेल अपार खुशी के गप अछि।चयन कर्ता ओस्ताद सियाराम झा सरस आ अन्चिन्हार आखर परिवार के धन्यवाद।
    हमर सहयोग आगा सेहो बनल रहत।अन्चिन्हार आखर बलॉग एहिना फरइत फुलैत रहै ई हमर कामना।

    सदरे आलम गौहर
    व्याख्याता-एस.एम.जे कॉलेज खाजेडीह
    घर+पो-पुरसौलिया
    भाया-जयनगर
    जिला-मधुबनी(मिथिला)
    पिन-847226
    मो-9006326629

    जवाब देंहटाएं

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों