शुक्रवार, 16 सितंबर 2011

गजल

एकटा चान हमरा लग रातिमे अबैए

देखू वएह कागत पर पाँतिमे अबैए


जीबाक लेल जी सकै छी अहाँक बिनु

मुदा देखू नोर बेर-बेर आँखिमे अबैए


आँखिसँ बेसी सपना नहि देखबाक चाही

फुनगीक आसमे बैसल माटिमे अबैए


पिजाएल लाठी किएक केकरा लेल कहू

अपने खु्ट्टाक बड़द जजातिमे अबैए


किएक कोनो नारिकेँ कहबै हड़ाशंखिनी

अपने लोकक गनती हड़ाहिमे अबैए



**** वर्ण---------16*******

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों