गुरुवार, 22 सितंबर 2011

गजल

साओन-भादवमे तँ सुखा गेल धार

एक ठोप पानि लेल बिका गेल धार


पानिसँ बाढ़ि छै की बाढ़िसँ पानि

देखू अपने पानिसँ दहा गेल धार


कोना बचतै पिआसल ठोर आ कंठ

घैलके तँ देखि कए नुका गेल धार


गप्प तँ चललै बिजली आ बान्ह पर

देखू सुनिते-सुनैत डेरा गेल धार


कछेर पर तँ होइ छलै रसलिल्ला

देखू तँ अनचोकेमे जुआ गेल धार



**** वर्ण---------14*******

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों