मंगलवार, 20 सितंबर 2011

गजल

लोहछल मोनक खुरफात थिक संबंध

असली हाथीक नकली दाँत थिक संबंध


कोना बचतै आयोगक गठन करू अहाँ

काटल गाछक नवका पात थिक संबंध


केकरोसँ दोस्ती तोड़ब ओतेक सहज नै

करेजमे तँ अंगदक लात थिक सबंध


हटा लिअ अपन मुँहसँ मास्क तुरंत

इ शुद्ध प्राणरक्षक बसात थिक सबंध


बिनु बजने बैसल रहू आ तमाशा देखू

बैसल बुढ़िआक शह-मात थिक सबंध



**** वर्ण---------16*******

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों