गुरुवार, 11 अगस्त 2011

गजल

अपन आँखि मे बसा लिअ हमरा

अपन श्वास मे नुका लिअ हमरा


जहाँ मरितो जीबाक आस रहए

ओहने ठाम तँ बजा लिअ हमरा


हाथ सटेला सँ मोन केना भरतै

अहाँ करेज सँ सटा लिअ हमरा


भरि जिनगी बौआइते रहलहुँ

अपने संग तँ बैसा लिअ हमरा


जाइ छी मुदा जेबाक मोन नै अछि

कोनो सप्पत सँ घुरा लिअ हमरा



**** वर्ण---------13*******

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों