शुक्रवार, 19 अगस्त 2011

गजल

हमरा मोनमे बैसल मात्र एकटा साँप

बाहर सह-सह करैत कएकटा साँप


लगबैत रहलहुँ भएट आ सूचना तंत्र

देखू बढ़ैत रहल महँगी-आपदा साँप


इ बिकनीक डिजाइन छैक की सुन्दरीक

देखिऔ छातीमे लेपटाएल तगमा साँप


हम तँ मनुसँ जन्मल रही की आदमसँ

बाजत किएक इ सेकुलर-भगवा साँप


बुझाएत नै रहत पातेमे मिझराएल

सुनू एनाहिते तँ डसैत छै सुगबा साँप


अनचिन्हार रहत वा चिन्हार की करबै

समय पर सभ बनै अजगरबा साँप

**** वर्ण---------16*******

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों