मंगलवार, 16 अगस्त 2011

गजल

अन्ना हजारेके नैतिक समर्थन दैत प्रस्तुत अछि इ गजल।

देश चुल्हामे गेल संसदमे हल्ला मचि रहल
कानून की भेल संसदमे हल्ला मचि रहल


अकाल, बाढ़ि, भूकंप इ सभ आबि चल गलैक
नेताक भत्ता लेल संसदमे हल्ला मचि रहल


घोटाला पर घोटाला बैसल कमीशन जाँचक
कमीशनक लेल संसदमे हल्ला मचि रहल


टूटि गेलै सपना आ मेटा गेलै आजादीक अर्थ
इ दलालक खेल संसदमे हल्ला मचि रहल


एकैटा लाश तँ भेटल बाट पर अनचिन्हार
ओकर जाति लेल संसदमे हल्ला मचि रहल

**** वर्ण---------18*******

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों