गुरुवार, 18 अगस्त 2011

गजल

अन्नाके महान काजकेँ "अनचिन्हार आखर" आ विदेह परिवार द्वारा नैतिक समर्थन करैत एकटा आर गजल।




जँ देशमे आरो अन्ना हेतै

तँ इ भ्रष्टाचार सुन्ना हेतै


या तँ पुलिस या सरकार

दुन्नू दलालक मुन्ना हेतै


सत्य तँ निकलबे करतै

बान्हल कतबो जुन्ना हेतै


लिखेतै इतिहास खूनसँ

गजल हमर पन्ना हेतै


जे बदलतै अधलाहकेँ

ओ अकासमे चन्ना हेतै

**** वर्ण---------10*******

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों