बुधवार, 17 अगस्त 2011

गजल

()

केकनैए हमरा लेल

केहँसैए हमरा लेल

सपनामे एबै आस नै

केसुतैए हमरा लेल

जँ हम चलिए जाएब

केरहैए हमरा लेल

छोड़ि दिअ सुतले अहाँ

केउठैए हमरा लेल

अनचिन्हार नाम-गाम

केअबैए हमरा लेल

**** वर्ण---------9*******

()

केकनैत अछि एहिठाम हमरा लेल

केहँसैत अछि एहिठाम हमरा लेल

हुनकर सपनामे एबै विश्वास नहि

केसुतैत अछि एहिठाम हमरा लेल

उठनाइ खराप नहि मुदा अहूँ सोचू

केसुतैत अछि एहिठाम हमरा लेल

बसातक संग आबि गेल मनुख-गर्दा

केउड़ैत अछि एहिठाम हमरा लेल

अनचिन्हार नाम गामो तँ अनचिन्हार

केअबैत अछि एहिठाम हमरा लेल

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों