गुरुवार, 18 अगस्त 2011

गजल

जन्म लेलोंउ जों मिथिला मे त मैथिल छी          
कर्म केलोंउ जों मिथिला मे त मैथिल छी           

मीठ बोल जों सदिखन सबहक ठोर रहे        
पान मखान स स्वागत होए त मैथिल छी         

कपटी माय नै होए ये सदिखन याद राखु        
सीता सन जों माय भेटल त  मैथिल छी       

कवी कोकिलक गान स जों मधुर छलके      
उगना बनि भगवान् भेटल त मैथिल छी     

अपने मुंह नै करब बड़ाई जानी लिया 
मिथिला हमर गाम भेल त मैथिल छी  

4 टिप्‍पणियां:

  1. मतलामे काफिया ओंउ अछि तकरा बाद सभ काफिया गलत अछि।

    जवाब देंहटाएं
  2. सुनील जी, बिना रदीफक गजल भऽ सकैए मुदा बिना काफियाक नै।

    जवाब देंहटाएं
  3. ओना १५ वर्णक सरल वार्णिक छन्दक बहर दुरुस्त अछि।

    जवाब देंहटाएं
  4. गजलक पहिल आवश्यकता अछि बहर जे एतए अछि, दोसर आवश्यकता अछि काफिया, जे नै अछि, तकरा बाद रदीफ, जे अछि..

    जवाब देंहटाएं

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों