शनिवार, 23 जून 2012

गजल

प्रस्तुत अछि मुन्ना जीक गजल----




देखू मुसडंडा अराम करैए

लोककेँ जीयब हराम करैए


भरि दिन करैए ओ काटा-काटी

साँझेसँ मुदा राम-राम करैए


चोर-उच्चकाकेँ छै अड्डा एतए

ओ दसमंजिला धराम करैए


सभ्य रहैछ नुकाएल जतए

असभ्य जिनगी विराम करैए


आखर-----12

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों