सोमवार, 25 जून 2012

गजल



खिलल फूलक आश मे भेटल कटैया
इ मधुमासक समयमे पतझड़ समैया

तड़प भेटत मात्र फँसलौँ यदि मरूस्थल
बनल छै मारूक एहन घर घरैया

जड़ल मानव नेह मे दुख मीत दै छै
पियासल छै खूनके सब मन वनैया

खसल छै अर्थव्यवस्था सड़ल सोँगर
अपन पेटक भूख बनि गेलै बलैया

द' रहलै यै दोष स'ब पर स'ब नगर मे
द' रहलै केओ त' ककरो नै बधैया

कते टाटक दोगमे अजगर बसैया
दरद सिन्धुसँ भासि गेलै "अमित" नैया

मफाईलुन-फाइलातुन-फाइलातुन
1222-2122-2122
बहरे-सरीम

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों