बुधवार, 27 जून 2012

गजल


कान नै अपन  देखब  कौआ खिहारब
कहु-कहु कोना आहाँ मिथिला सुधारब

घोघ तर कनियाँ कोठी तरहक माछ
मोन होइतो कहु कियो कोना निघारब

लागल आगि जीवनक  मिझाएब कोना
की जीवन भरि खड़ेल खड़े पजारब

कहियो त ' बसब आ ककरो बसाएब
भटकैत सीथ कतेक आरो उजारब

पानि केखनो 'मनु' पियासलो  केँ पियेब  
की बनि नादान परती पर टघारब

(सरल वार्णिक बहर, वर्ण-१५)
जगदानन्द झा 'मनु'  : गजल संख्या - ५९

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों