मंगलवार, 27 दिसंबर 2011

अपने एना अपने मूँह--1

अप्रिल 2008(11/4/2008) मे अनचिन्हार आखरक जन्म भेल आ एहि बर्ख कुल तीन टा पोस्ट भेल। तीनू पोस्ट आशीष अनचिन्हार द्वारा भेल जाहिमे हुनक कुल तीन टा गजल आएल।

बर्ख 2009मे कुल 36टा पोस्ट भेल जकर विवरण एना अछि------------

1)आशीष अनचिन्हार द्वारा कुल 19टा पोस्ट भेल। 18टा पोस्टमे हुनक 18टा गजल आएल आ 1टा पोस्टमे भिन्न-भिन्न शेर अछि।

2) गजेन्द्र ठाकुर द्वारा कुल 9टा पोस्ट भेल जाहिमे--- 1टा पोस्टमे हुनक 1टा गजल, 2टा पोस्टमे धीरेन्द्र प्रेमर्षिक 1टा आलेख एवं 11टा गजल, आ 1टा पोस्टमे गंगेश गुंजन, रामलोचन ठाकुर, राजेन्द्र विमल, रामभरोस कापड़ि भ्रमर, बृखेष चंद्र लाल आ रोशन जनकपुरी 1-1टा गजल प्रस्तुत कएल गेल अछि।

3) देव शंकर नवीन द्वारा कुल 4टा पोस्ट भेल जाहिमे हुनक कुल 4टा गजल आएल।

4) शेफालिका वर्माजीक कुल 2टा पोस्टमे हुनक कुल 4टा गजल आएल।

5) अरविन्द ठाकुरक कुल 2टा पोस्टमे हुनक 2टा गजल आएल।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों