सोमवार, 6 फ़रवरी 2012

अपने एना अपने मूँह-4

२०१२ केर मास जनवरीमे कुल ६६टा पोस्ट भेल जकर विवरण एना अछि---------
आशीष अनचिन्हारक कुल १८टा पोस्ट अछि। जाहिमे पुरस्कार संबंधी ३टा, नात १टा, कता १टा, रुबाइ ४टा, गजल ४टा, बन्द १टा, अपने एना अपने अपने मूँहक १टा पोस्ट अछि। संगहि-संग ३टा पोस्टमे रुबी झाक १टा, स्वाती लालक १टा, आ इरा मल्लिक जीक १टा गजल प्रस्तुत कएल गेल अछि।

मनीष झा "बौआ भाइ" केर २टा पोस्टमे २टा गजल, नितेश झा "रौशन" केर ३टा पोस्टमे ३टा गजल, ओम प्रकाशक ११टा पोस्टमे ११टा गजल, प्रभात राय भट्ट केर ७टा पोस्टमे ७टा गजल,अजय ठाकुर "मोहन जी"क १टा पोस्टमे १टा गजल, अमित मिश्रक १टा पोस्टमे १टा गजल, जगदानंद झा "मनु"क ८टा पोस्टमे ८टा गजल,गजदीश चंद्र ठाकुर "अनिल" जीक ३टा पोस्टमे ३टा गजल, भाष्कर झाक १टा पोस्टमे १टा गजल आ अनिल जीक १टा पोस्टमे १टा गजल अछि। मिहिर झाक ४टा पोस्टमे ३टा गजल आ १टा बन्द अछि।

गजेन्द्र ठाकुरक ६टा पोस्टमे ४टा दीक्षा भारती द्वारा गजेन्द्र ठाकुरक ४टा गजलक गायन प्रस्तुत कएल गेल अछि। १टा पोस्टमे सियाराम झा "सरस" जीक अंतर्वाता अछि जे प्रेमर्षि जी द्वारा लेल गेल अछि। १टा पोस्टमे अजहर इमामक मृत्यु सूचना देल गेल अछि।
मास जनवरी २०१२मे श्रीमती रूबी झा, स्वाती लाल, मनीष झा "बौआ भाइ", नितेश झा रौशन, अमित मिश्र मने पाँचटा गजलकार अनचिन्हार आखरक माध्यमें मैथिली गजलमे एलथि। जाहिमे २टा महिला छथि।


(श्रीमती रुबी झा जीक सभ पोस्ट हटा देल गेल अछि। हुनक रचना अ-मौलिक सिद्ध भेल अछि। हमर ई कहब नै जे हुनक सभ रचना एहने सन हेतन्हि मुदा ई हुनक अधिकांश रचना लेल अछि।

सादर
सम्पादक
 22/1/2013)

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों