शनिवार, 18 फ़रवरी 2012

गजल



दर्द करेजक देखाएब तs अहाँ जानब की
हमर बात कनी सपनो में अहाँ मानब की

अहाँ कहलौं पुरुषक प्रेम गोबर आ रुई
करेज चीरो कs देखायब तs अहाँ कानब की

दोख एकेटा में होई छैक सबमे कत्तौ नहि
सबके संग हमरो अहाँ ओहि में सानब की

अहाँ कहैत छी सबठाम अन्हारे-अन्हारे छै
इजोरियाके आँखि मुनि अन्हरिया मानब की

एक बेर हमरो पर भरोसा कय कs देखु
प्रेम केकरा कहैत छैक 'मनु' सँ जानब की

(सरल  वार्णिक बहर, वर्ण-१७)
जगदानन्द झा 'मनु' : गजल संख्या-२१

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों