शुक्रवार, 3 फ़रवरी 2012

मास जनवरी 2012क लेल गजल सम्मान योजनाक पहिल चरण

हमरा इ सूचित करैत बड्ड नीक लागि रहल अछि जे " अनचिन्हार आखर"द्वारा स्थापित " गजल कमला-कोशी-बागमती-महानंदा" सम्मानक पहिल चरण बर्ख-2012 ( मास जनवरी लेल ) पूरा भए गेल अछि। मास जनवरीक लेल प्रभात राय भट्ट जीक एहि रचना के चयन कएल गेलैन्हि अछि। हुनका बधाइ।


आइ हमर मोन एतेक उदास किएक
पानि लग रहितो मोनमे पिआस किएक

प्रभात संग पूनम आएत आस किएक
नै आएत से सोचि मोन उदास किएक

सिनेहक सागरमे हम नहेलहुँ नहि
तखन मिलन लेल मोन उदास किएक

हम प्रगाढ़ प्रेमक पराग लेलहुँ नहि
आइ प्रीतम मोन एतेक हतास किएक

हम मधुर मुस्कान संग हँसलहुँ नहि
आइ दिवा-स्वपन एतेक मिठास किएक



वर्ण--१६

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों