मंगलवार, 7 फ़रवरी 2012

गजल

प्रस्तुत अछि मुन्ना जीक गजल---



जुग बीति गलै लगबैत जोगारमे
मुदा पता नै की लीखल छै कपारमे

दिन बितेलौं दोस्तीए निमाहि हम तँ
तैयो छल हत्यारा अपने भजारमे

भाइ जे काटैए गरदनि सदिखन
ओ माथा टेकैए मंदिर-मजारमे

हे एना नै चलू हाथ छोड़ि बाटपर
बहि जाएब कहियो उन्टा बयारमे

जे बुझतै बितैत समय केर मोल
मुन्ना ओकरे दिन बिततै बहारमे

आखर-----14

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों