रविवार, 5 फ़रवरी 2012

गजल

ठोर लाल गोर गाल बबाल करै ,
कत्त' सँ रूप भेटल सबाल करै ,
अहाँ छी नव कली खुशबु भरल ,
लै छी अंगराई देखू हलाल करै ,
यौवन खतरा कए निशान सटल ,
देह चुमैत कपड़ा धमाल करै ,
मारि-झगड़ा फसि गेलै देखुयौ ने ,
एगो कनखी केहन कमाल करै ,
हमहूँ अहाँक दिवाना छी सजनी ,
देखू प्रेम सँ "अमित " खियाल करै . .
अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों