मंगलवार, 22 मई 2012

गजल


रामलोचन ठाकुर मैथिली आलोचनामे कतिआएल लोक छथि। हिनक रचना मात्र आलोचना नै माँगैए बल्कि आलोचनाक आलोचना सेहो मागैए। श्री रामलोचन जी वाम रचनाकार छथि। मुदा ने यात्री जी आ ने हिन्दीक राम विलास शर्मा जकाँ जकाँ वामी छथि। ई वाम रहितो अपन परंपराकेँ जोगा कए रखलाह|आ तँए हम हिनका मात्र प्रगतिशील लेखक नै बल्कि एहन प्रगति शील लेखक
मानै छी जे की अपन सार्थक परंपराकेँ सेहो पकड़ि रखलाह। रामलोचन जी आधुनिक कविताक संग-संग गीति काव्य पर बहुत काज केलन्हि अछि। कुंडलिया हिनक प्रिय वस्तु छन्हि। ई गीतो लिखलन्हि अछि। ई गजलो लिखलन्हि अछि मुदा ओ क्रम विन्यास गीत कविता जकाँ बना देने छथिन्ह, आ एहि संदर्भक चर्चा गजेन्द्र ठाकुर जी अपन गजल शास्त्र आलेख भाग-१४मे केने छथिन्ह। तँ आइ प्रस्तुत अछि हुनक एकटा एहन गजल जे कि गीत-कविताक क्रममे अछि। ई गजल हुनक अपूर्वा नामक काव्य ग्रंथसँ लेल गेल अछि। ऐ गजलमे गजलक व्याकरणक बहुत दोष भेटत। मुदा आइयो जखन ई अवस्था छै जे सभ व्याकरण उपल्बध रहितो महान लोक सभ गलत गजल लिखै छथि तखन १९९६मे प्रकाशित हुनक ई पोथी आ १९९०केँ लगीच हुनक रचनामे ई दोष भेटब स्वाभाविक छै। तथापि आउ रसास्वादन करी ऐ गजलकेँ--------


किछु गीत एहन होइ छै गाओल ने जाइ छै
किछु चीज एहन होइ छै पाओल ने जाइ छै

टहकैत रहै छै कोढ़मे करेजमे
किछु घाव एहन होइ छै देखल ने जाइ छै

तोड़ै ने देह-मोन टुक-टुक करै छइ
किछु दर्द एहन होइ छै नापल ने जाइ छै

अपना व्यथे मरब तँ कोनो तेहन बात नै
अनका व्यथे मरैछ जे जानल ने जाइ छै

कहबाक लेल बात बहुत छल मोनमे
किछु बात एहन होइ छै बाजल ने जाइत छै




कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों