गुरुवार, 31 मई 2012

गजल

सुनैए छी यौ भाइ शराब आहाँ छी महान
किया अहाँ के पिला बाद भ जाय छी शैतान


मिला के पाइन अहाँके लोक पीबैत अछि
बिना पानिक पीला सँ भ जाइ छै परेशान


अहाँके पीबै वला बिसरि जाइ छोट पैघ
यौ करै यै इ बात हमरा बहुत हरान


अंग्रेजी मे अहाँ के आदमी कहै यै वाइन
पीले के बाद अहाँ बनबै छी लोक के हैवान


केहन अछि अहाँ मे स्वाद "मुकुंद" जानि नै
मुदा जग मे केउ नै अछि अहाँ समान
mukund ''mayank''

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों