सोमवार, 21 मई 2012

गजल

प्रस्तुत अछि मुन्ना जीक गजल-------------



जीता-जिनगी श्मसान सन लगैए लोक

मरियो क' फिरीसान सन लगैए लोक


महँगाइसँ खूने नै हड्डियो सुखाइए

आब झुलैत मचान सन लगैए लोक


नित नव दाँव खेलि क' बितबैए समय सभ

हक छीनि बलबान सन लगैए लोक


देखनिहारो आब नै अछि केओ केकरो

सहारा द' भगवान सन लगैए लोक


लगा क' लगानी मठोमात भेल छी हम

घुरबैमे यजमान सन लगैए लोक


आखर-----15





कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों