बुधवार, 2 मई 2012

गजलक इस्कूल भाग-47

--
करेजकेँ पाथर बना लिअ

· · · Sunday at 14:58 via Mobile 29/4/12

    • Ashish Anchinhar ‎12-1222-122

    • Amit Mishra gareeb k mohar bana lia

    • Amit Mishra गजल

      करेजक नस मांसके पाथर बना लिअ
      गरीबक दुख दर्दके मोहर बना लिअ

      मरै छै बेटी जँ कोखे दिन दहारे
      पवनपुत्रक धामके कोबर{कोहबर} बना लिअ

      सिनेहक बीया असंभव भेल रोपब
      मनोजक नद मोनके विषधर बना लिअ

      कलह करबै भूख नेता देखियौ ने
      जवानक सब बातके सोँगर बना लिअ

      अपन हेतै देश संगे प्रात हेतै
      कटारक कर "अमित" के भोथर बना लिअ

      मफाईलुन-फइलातुन-फइलातुन
      1222-2122-2122
      बहरे -सरीम

      अमित मिश्र

      Monday at 08:36 via Mobile · · 1

    • Chandan Jha Ashish Anchinhar ehi bahar ke ki naam achhi??

    • Chandan Jha गजल-३३

      करेजकेँ पाथर बना लिअ
      पिरीतकेँ आखर मिटा दिअ

      सपन जनम भरिकेर देखल
      कहूतऽ की नोरहि भसा दिअ

      जड़ैत छै जे आगि विरहक
      कहैत छी तकरा मिझा दिअ

      जनमक संगी बनकि बदला
      कहैत छी नाता कटा लिअ

      रकटल "चंदन" मोन बेकल
      कियोतऽ प्रीतम के बुझा दिअ

      12-1222-122

      Monday at 22:40 · · 3

    • Ashish Anchinhar ई बहरे हजज केर मुजाइफ रूप छै चन्दन जी. मुफाईलुन मने 1222
      Monday at 23:06 via Mobile · · 1

    • Amit Mishra ashish ji jan mujaef k bare me ekta sankshipt charcha k ditaun ta hmra sab lel faricha jaite
      Monday at 23:09 via Mobile · · 1

    • Ashish Anchinhar हेतै मुदा कने समय पर कमसँ कम साल भरि बाद
      Monday at 23:12 via Mobile · · 1

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों