सोमवार, 21 मई 2012

गजल

प्रस्तुत अछि मुन्ना जीक गजल-------------




सभ उमेर वर्गकेँ प्रेम चाही

मरितो धरि कुशल-छेम चाही


लगेबै मोनमे करेजमे आगि

तैं तोहर जौबनक टेम चाही


डाहसँ पहुँचब कोस-दू कोस

आगू बढ़बा लेल तँ प्रेम चाही


लोकसोंझा-सोंझी नै करत बात

पीठक पाछू बड़का ब्लेम चाही


नहि कटतै संयमसँ जीवन

जीबा लेल नित नव गेम चाही



आखर-----12


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों