गुरुवार, 23 अगस्त 2012

गजल

गजल

नै जानि मिथिला मैथिलीक संस्कार कहाँ चलि गेल यौ
मिथिलाक पावन माटिक व्यवहार केहन भेल यौ

सभ घुमि रहल मउल साजि सबतरि चहुँ दिस
लागल निशि-वासर खिंचय म सबहक नकेल यौ

खेत खरिहानक उपजा बारी आ लोकक खुशहाली
मिटा रहल छै साले साले रौदी आ बाईढक मेल यौ

मोनक भार आ करेजक साती बेटी छै भेल किएक
ई सवालक ने हल कोनो बढ़ल दहेजक खेल यौ

सीता मिथिला क बेटी भ जीवन भरि कानैत रहली
मिथिलाक बेटीक भागे कानबे किएक लिखि देल यौ

स्वार्थे अन्हरायल सभ बेटी के गर्भहिं मारय छथि
जौ नहिं चेतल तुरन्त त झखब नारि कए लेल यौ

सुनल कलियुग सोचल कहल आ कैल टा मानय
'राजीव' चालि प्रकृति सुधारी जुनि बनी बकलेल यौ

(सरल वार्णिक बहर,वर्ण-२०)

राजीव रंजन मिश्र


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों