गुरुवार, 23 अगस्त 2012

गजल


गजल

देखिते हम अहाँ के सोचल कि बात भ गेलय
किया मोन हमर बौरहबा जे कात भ गेलय

हम ने बूझि सकल कतबो चाहि आइय्यो धरि
किया जे सगरो मेघ बिना बरसात भ गेलय

चाहल एक बेर नखत चमकय हमरो त'
सगरो घर आँगन बैरीक जिरात भ गेलय

जौ जीवनक खेल चलैत रहलय अहिना त'
बुझबय कैल धैल सभ अन्सोंहात भ गेलय

'राजीव' आब ने रहल भलमन्साहतक मोल
लागय लोक जेना अरिकोचक पात भ गेलय

( सरल वार्णिक बहर वर्ण-१८ )
राजीव रंजन मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों