गुरुवार, 23 अगस्त 2012

गजलक इस्कूल भाग-57

एकटा मिसरा दए रहल छी एकरा अपन शब्दक फूलसँ सजा क एकटा बाल गजल बनाएबाक कृपा करी ।
मिसरा {पाँति} एना अछि

आमक गाछपर झूला लगाएब ना

सरल वार्णिक मे 14 टा वर्ण
वा
अरबी बहर मे
2221-2221-2212
· · · 13 July at 21:49 via Mobile
    • Amit Mishra chandan ji ,manu ji, pankaj ji, ruby ji
      14 July at 11:33 · · 1
    • पंकज चौधरी बाल गजल-८

      आमक गाछपर झूला लगाएब ना
      अपनों झूलब सभके झूलाएब ना

      केरा डम्फोरि आ मोटका लत्ती आनब
      सउन बाँऽटि कऽ जउड़ बनाएब ना

      कखनहुं ऊंचगर निच्चा कखनहुं
      झूला संग हमहुँ आएब जाएब ना

      खसतय गोपी धऽपर -धऽपर- धप
      झूला के बहन्ने ठाईढ डोलाएब ना

      गोपी कियो बीछय नहि हेतै झगड़ा
      हम सभ संगी मिल-जुलि खाएब ना

      कसि-कसि कऽ आर झूलाबय हमरा
      ऊँचगर जा हम चान के पाएब ना

      ठाढ़ि ओदरलय झूला टुईट गेल
      "नवल" चट सभ दौड़ पड़ाएब ना

      ---वर्ण-१४---
      सरल वार्णिक बहर
      ©पंकज चौधरी (नवलश्री)
      (तिथि-१४.०७.२०१२)
      14 July at 15:12 · · 2
    • Amit Mishra bahut sunnar bal gajal . . . .wah
      14 July at 15:22 via Mobile · · 1
    • Rajeev Ranjan Mishra badd neek pankaj jee!!
      14 July at 15:39 · · 1
    • पंकज चौधरी Dhanyavaad Amit Mishra ji.......! Ekhan Patna mein chhi ektaa Educational Institution ke Audit chail rahal chhaik... Mishra bahut neek laagal ta' apna dish sa' prayas kelaunh...! Neek laagal taahi lel hriday sa' dhanyavaad...!
      14 July at 15:40 · · 2

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों