सोमवार, 5 मार्च 2012

हजल

हरदी-चुन-करीखा लागाऊ हुनक मुँहपर ,
चुगला सनक फोटो बनाऊ हुनक मुँहपर ,
सड़ल फाटल चट्टी वाला बोरा सँ अंगा बनाबू ,
एकाध लोइया कादो लगाऊ हुनक मुँहपर ,
बेंगक माला चाहे जुत्ता कए हार सँ हो स्वागत ,
करिकबा कुकुर हुलकाऊ हुनक मुँहपर ,
होली छै त' शराब हेबाक चाही ने हिनका लेल ,
पिल्लू वाला महुआ बरसाऊ हुनक मुँहपर ,
कत्तौ सँ एकटा बत्तूपकैर कए लेने आबू यौ ,
जनता सँ बारह बजबाऊ हुनक मुँहपर . . . । ।
अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों