शुक्रवार, 23 मार्च 2012

गजल




नेहक सूत बान्हि रखलियै करेजक कोन ओकरा,
बिसरल नइ भेल जकरा, ओ' बिसरि गेल हमरा ।

जिनगीक बाट जकरे आञ्गुर ध' चलब सिखेलियै,
बिचहि बाट में ओ' छोड़ि पड़ायल खसितहि हमरा ।

कहाँ बचल छै कनियो मोल आब अनमोल-नेहक,
सौंसे छै खाली टाकाक पुछ, आब लोकक पुछ ककरा ?

"चंदन" टाका त' छियै हाथक मैल सत्-संबंधक आगाँ,
जे नैं बुझैछ ई बात , बनैछ तकरे जिनगी फकरा ।

-----वर्ण-२०----

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों