गुरुवार, 29 मार्च 2012

गजल

बाल गजल




बेंग बजय छै टर-टर-टर्र
बगरा उड़य फर-फर-फर्र ।

झरना झहरे झर-झर-झर्र,
बाँस बजय छै कर-कर-कर्र ।

मिल चलय छै धर-धर-धर्र,
साँप ससरलै सर-सर-सर्र ।

चुनमा छाती धक-धक-धक्क,
डरसँ कापय थर-थर-थर्र ।

पप्पा एलखिन भागि गेल डर,
बात पदाबय चर-चर-चर्र ।

-----वर्ण-१२-----

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों