रविवार, 11 मार्च 2012

गजल


कयल कोन पाप, नहि जानि की भ' गेलइ,

लगेलौं नेह जकरे सँ, ककरो मीत बनि गेलइ

करय छी प्रेम कतबा हम, ' जानि नहि सकल,

'कि जानि-बूझि के, अनचिन्ह बनि गेलइ

सिनेहक ताग कतय गेल, संबंध की भेलइ

जीनगीक राग-रभस सभ-टा टीस बनि गेलइ

जग छैक सत्ते "झूठ", बात बूझ ने "चंदन"

टुटै छै स्वप्न सहस्त्रो, एकटा फेर टुटि गेलइ

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों