सोमवार, 12 मार्च 2012

गजल

बंद आँखि सँ होइ कल्पना ,
राति-दिन हुनके सपना ,
बोली,फूल बरसै गमकै
प्रेम भरल घर अंगना ,
कैनवास पर फोटो जेकाँ ,
आधा-अधुरा होइ सामना ,
कोनो रोक नै जोर चलैए ,
मात्र ओ छथि के करत मना ,
घुमै छी दोसर नगर मे ,
नैन मिलेने फाँकैत चना ,
कहै यै आलसी इ दुनियाँ
मात्र केलौँ हुनके रचना ,
सपना आ कल्पना "अमित" ,
राति -दिन हुनके सपना . . . । ।
अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों