गुरुवार, 5 अप्रैल 2012

गजल

अहाँ के देखब कोना आब हम अछि हमर भाग जडल
अहाँ सॉ भेटव कोना आब हम अछि हमर भाग घटल

सँगे चलबै जीवन भरि बचन इ जे अहाँ तोडि देलिएै
समेटब कहू कोना आब हम स्वप्न हमर भाफ बनल

अहाँ लेल खेल छल किछु दिन के की कोनो मजबूरी छल
सूनलौं ने किया किछु हमर मोने मे हमर बात रहल

बन्द अछि मुट्ठी मे खुसी हमर इ केहन भरम मे छलौं
सुखल बालु जकाँ जे ससरल खाली हमर हाथ रहल

फटैत छाती ल देखैत रहलौं घुरि कs अहाँ तकलौं कहाँ
देह के राखू कतेक दिन हम देखू हमर जान चलल

राति जे छत पर छलौं देर तक कारी असमान तकैत
जेना बादल हम छलौं ठहरल ओ हमर चान चलल

जागल छी बहुत दिन सॉ आब सुतितौं हम चिर निद्रा मे
निन्द आबै कहाँ कहियो जेना आँखि मे हमर काँट गडल

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों