रविवार, 8 अप्रैल 2012

गजलक इस्कूल भाग-31

करेजक घर तँ खोलू कने
· · · 15 March at 17:03
    • Ashish Anchinhar ह्रस्व-दीर्घ-दीर्घ-दीर्घ+ ह्रस्व-दीर्घ-दीर्घ+ ह्रस्व-दीर्घ...
    • Ashish Anchinhar सभ गोटासँ आग्रह जे बहरक एहि प्रारूपपर धेआन देथि किएक तँ एही रूपकेँ मुजाइफ रूप कहल जाइत छै।.
    • Ashish Anchinhar हलाँकि मुजाइफ रूप लेल कमसँ कम 30-35टा निअम छै।..
    • Chandan Jha करेजक घर तँ खोलू कने
      सिनेहक ताग जोरू कने ।
      15 March at 17:44 · · 3
    • Chandan Jha बनल बेरस हमर जीवने,
      अहिमेँ नेहरस घोरू कने ।
      15 March at 18:33 · · 2
    • Ashish Anchinhar लाजबाब चंदन जी..
    • Amit Mishra करेजक घर तँ खोलू कने
      कते छै प्रेम देखू कने

      आहाँ हेबै सराबोर यौ
      नगर में आबि देखू कने
      15 March at 19:03 · · 2
    • Ashish Anchinhar vah... amit ji
    • Ashish Anchinhar अहाँ..
    • Chandan Jha करेजक घर तँ खोलू कने
      सिनेहक ताग जोरू कने ।
      अहिँक हिय-बीच चाही बसै,
      जगह बसबाक छोड़ू कने ।
      बनल बेरस हमर जीवने,
      अहिमेँ नेहरस घोरू कने ।
    • Amit Mishra मजा एते पिया एत यौ
      मना नै करब बूझू कने
      15 March at 19:10 · · 2
    • Amit Mishra sir ji ee kom bahar achhi
    • Ashish Anchinhar इ मफाईलुन केर मुजाइफ बहर छै जकर विवरण हम करीब एक साल बाद करबै कारण एहि बीचमे हमरा सभकेँ मूल बहर पर पकड़ मजगूत करबाक अछि।..

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों