रविवार, 8 अप्रैल 2012

गजलक इस्कूल भाग-33

ओ बिसरि गेल हमरा
· · · 20 March at 14:54
    • Ashish Anchinhar मफाईलुन + फऊलुन...
    • Pradeep Chaudhary jaah.. julum bhel
      20 March at 15:01 · · 1
    • Jan Anand Mishra Paral daivak jakhan dang
      Nai jain ke ke bisair gel humra
      20 March at 15:06 via Mobile · · 1
    • Amit Mishra sundar panti
    • Chandan Jha U I I I+U I I....kichh confusion acchi...
    • Chandan Jha ‎"O" harshva ki Dirgh hoyat..aa' pher tin ta dirgh ke ganana kona kayal jay..
    • Ashish Anchinhar बहुत गोटेंकेँ समस्या होइत छन्हि जे इ लघु-दीर्घ कोना होइत छै। प्रस्तुत अछि किछु उदाहरण---

      बिगड़ि-----------एहि शब्दकेँ ह्रस्व-दीर्घ मानू वा दीर्घ-ह्रस्व मानू। बहरक जेहन जरूरति हो। अरबी बहरमे तीन टा लघु सँ कोनो बहर नै छै तँए लघु-लघु-लघु मानबाक कोनो जरूरति नै।
      हुनकर---------- एहि शब्दकेँ दीर्घ-दीर्घ मानू वा दीर्घ-लघु-लघु मानू वा लघु-लघु-दीर्घ दीर्घ मानू जेहन जरूरति हो। अरबी बहरमे चारिटा लघु सँ कोनो बहर नै छै तँए लघु-लघु-लघु-लघु मानबाक कोनो जरूरति नै।
      घर------- एहि शब्दकेँ दीर्घ मानू वा लघु-लघु बहरक जेहन जरूरति हो।
      चोर------ इ साफे तौर पर दीर्घ-लघु अछि।

      जँ कोनो शेरमे एना पाँति छै--- बिगड़ि चलै ।
      आब एहि दू शब्दकेँ बान्हू। या तँ अहाँ " बिग" मने एकटा दीर्घ मानू आ "ड़ि" मने एकटा लघु फेर "च" एकटा लघू भेल आ "लै" एकटा दीर्घ। एकर मतलब जे " बिगड़ि चलै" केर संभावित बहर भेल--दीर्घ-ह्रस्व-ह्रस्व-दीर्घ।
      एहि शब्दकेँ एकटा आर रूप दए सकैत छी जेना की---- "बि" के लघु मानू "गड़ि"केँ दीर्घ मानू आ फेर "च" एकटा लघू भेल आ "लै" एकटा दीर्घ। एकर मतलब जे " बिगड़ि चलै" केर संभावित बहर भेल--- लघु-दीर्घ-लघु-दीर्घ।

      आब एहि दू रूपकेँ अहाँ बहरक हिसाबें प्रयोग करू। कतेको आदमी " बिग" केँ दीर्घ मानताह फेर "ड़ि" "च" केँ मिला दीर्घ मानताह आ "लै" भेल दीर्घ मने दीर्घ-दीर्घ -दीर्घ मुदा इ रूप गलत भेल। किछु दिन पहिने हम ओम प्रकाश आ अमित जीकेँ कहने छलिअन्हि जे एना कए सकैत छी। मुदा तखन हमर ज्ञान कम्म छल। हुनका दूनू गोटेँकेँ अलावे सभ गोटेसँ आग्रह जे ओ आब एना नै करथि।..
    • Chandan Jha dhanyabad.."O" ki hoyat
    • जगदानन्द झा 'मनु' ओ बिसरि गेल हमरा
      मफाईलुन + फऊलुन... नहि बनत

      S I S+SISS

      फाइलुन+ फाइलातुन
    • Ashish Anchinhar धन्यवाद मनु जी एनाहिते देखि गलतीकेँ पकड़ू
    • Sunil Kumar Pawan MUDA HAM BISARI NE SAKALAU.
    • Amit Mishra क्षमा चाहब अपनेक देल मिसरा मे कने बदलाब क' हम लिख रहल छी ।

      ओ विसरि गेलै किए ,
      प्रेम हेरेलै किए ,

      बीच चौराहा जड़ल ,
      राख दिल भेलै किए ,

      आश अमृत के छलै ,
      जहर बनि एलै किए ,

      झुनझुना हमरा समझि ,
      आइ ओ खेलै किए ,

      प्रेम देवी बनि क' ओ ,
      नोर बोझेलै किए ,

      नै जबाबो भेटलै ,
      "अमित" गम भेलै किए . . . । ।

      फाइलातुन-फाइलुन
      बहरे-मदीद
    • Ashish Anchinhar नीक रचना अमित जी मुदा एकटा उर्दू शब्दकेँ कारण बेकार गमकेँ बदलामे दुख सेहो भए सकैत छै
    • Amit Mishra dhanyawad ashish ji gam ke badali dukh likh ka post karai chhi

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों