रविवार, 16 सितंबर 2012

गजल

बाल गजल-१५

जनमदिन
छै आइ हमर माँ
हबड़ - हबड़ तैयारी कर माँ


पूरी छाइन दे तस्मय रान्हय
तीमन कऽ दे कम करुगर माँ


लवंचूस भरि - भरिकऽ फूलेबै
फुकना अनिहैन्ह नमहर माँ


यौंहटा केक तू कीनकऽ आनय
चक्कुओ रखिहैन्ह धरगर माँ


केक काइटकऽ सभके देबय
"नवल" नञि खेतै असगर माँ


*आखर-१२ (तिथि-११.०९.२०१२)
पंकज चौधरी (नवलश्री)

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों