शनिवार, 15 सितंबर 2012

गजल

गजल

फेर गजलक धार चलतै
खेत परती फार चलतै

शब्दकेँ जे बाण बनतै
भावकेँ तलवार चलतै

पूल जखने मोन जोड़त
नेह भरि पेटार चलतै


देह टूटल पेट भूखल
दर्द कऽ स्वीकार चलतै

बाप देखू हारि गेलै
पूतकेँ अधिकार चलतै

टाट खसलै बाट बनलै
राति कतऽ ओहार चलतै*

राति रानी जागि जेतै
फेर ओ श्रृंगार चलतै

फाइलातुन
2122 दू बेर
बहरे-रमल

* जतऽ सरकार घर तोड़ि सड़क बनबैत अछि ओतऽ ओहि घरक लोक लेल ई शेर अछि ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों