रविवार, 16 सितंबर 2012

गजल

बाल गजल-१६

एना नै तू मुँह दूश गै बहिना
हमरासँ जुनि रूस गै बहिना

देख अनलियौ कीन तोरा लए
भरि जेबी लवंचूस गै बहिना


हबड़ - हबड़ खा सठा ले जल्दी
नैतऽ लऽ भगतौ मूस गै बहिना

कम-कमकऽ कने खो ओरियाकऽ
एक्कहिं बेर नै ठूस गै बहिना


भाय "नवल" बड्ड मानउ तोरा
कह नञि तों कंजूस गै बहिना

*आखर-१२ (तिथि-१२.०९.२०१२)
पंकज चौधरी (नवलश्री)

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों