सोमवार, 18 जून 2012

गजल


सभकेँ हम करि सम्मान सभ बुझैत अछि गदहा
सभकेँ गप्प हम सुनै छी सभ  कहैत अछि गदहा

सभतरि मचल हाहाकार मनुख खाय  गेल चाडा
भ्रष्टाचार में डूबि  आई  देश चलबैत अछि गदहा

नवयुवक फँसल भमर में साधू करए कबड्डी
देखू  गाँधी टोपी पहिर किछ कहबैत अछि गदहा

भगवा चोला पहिर-पहिर आँखि में झोँकै मिरचाई
धर्माचार बनल बैसल    धर्म बेचैत अछि गदहा

जंगल बनल समाज में, सोनित  सँ भिजल धरती
शेर सगरो पडा गेलै  चैन सँ सूतैत अछि गदहा

(सरल वार्णिक बहर, वर्ण-२०)
 जगदानन्द झा 'मनु'  : गजल  संख्या -५६

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों