सोमवार, 2 अप्रैल 2012

गजल


गजल-२०

शब्द संग खेलाएब हमरा नीक लगैत अछि,
शब्दहि ओझराएब हमरा नीक लगैत अछि ।

मोनक चिनबार पर छी रान्हैत जे मीठ-तीत्त,
भावहि से झोराएब हमरा नीक लगैत अछि ।

सुखक-गीत दुखक-टीस जिनगीक कथा-ब्यथा,
जगभरि सुनाएब हमरा नीक लगैत अछि ।

सुरूजक किरीण चढ़ी स्वर्ग केर विहार करी,
धरती में लोटाएब हमरा नीक लगैत अछि ।

विहग-गीत गाबय छी आ' विरहनि सुनाबै छी
"चंदन" ई बौराएब हमरा नीक लगैत अछि ।

-----वर्ण-१८-----

1 टिप्पणी:

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों