सोमवार, 30 जुलाई 2012

गजल






गजल-६२

आखर-आखर गानि-गानि क' लिखबै हम

मात्रा-बहरे फानि-फानि क' लिखबै हम


मायक भाषा पूज्य जानि क' लिखबै हम

अप्पन छाती तानि-तानि क' लिखबै हम


कविकोकिल के मान राखि क' लिखबै हम

मिथिला-मैथिल युद्ध ठानि क' लिखबै हम


फगुआ-चैती गाबि-गाबि क' लिखबै हम

रौदी-दाही कानि-कानि क' लिखबै हम


भासल सपना छानि-छानि क' लिखबै हम

"चंदन"भावहि सानि-सानि क' लिखबै हम


222-2212-1122-2

आखर-आखर गानि-गानि की लिखबै हम

मात्रा-बहरे फानि-फानि की लिखबै हम ?


मायक भाषा पूज्य जानि की लिखबै हम

अप्पन छाती तानि-तानि की लिखबै हम ?


कविकोकिल के मान राखि की लिखबै हम

मिथिला-मैथिल युद्ध ठानि की लिखबै हम ?


फगुआ-चैती गाबि-गाबि की लिखबै हम

रौदी-दाही कानि-कानि की लिखबै हम ?


भासल सपना छानि-छानि की लिखबै हम

"चंदन"भावहि सानि-सानि की लिखबै हम ?

222-2212-1222-2

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों